2020-01-05

प्रज्ञा मनाओत अन्तर्राष्ट्रिय मातृभाषा दिवस

नेपाल प्रज्ञा प्रतिष्ठान मातृभाषा राष्ट्रिय कविता महोत्सवक आयोजन कर’ जारहल अछि ।   

नेपाल प्रज्ञा प्रतिष्ठानक प्राज्ञ तथा मातृभाषा विभागक प्रमुख डा. योगेन्द्रप्रसाद यादव अन्तर्राष्ट्रिय मातृभाषा दिवसके उपलक्ष्यमे दू दिना कार्यक्रम हएबाक जानकारी देलन्हि । जाहिमे पहिल दिन फागुन ८ गते मातृभाषाक महत्व, मातृभाषामे शिक्षा, मातृभाषाक संरक्षणसहितके विषयमे गोष्ठी आ दोसर दिन फागुन ९ गते र्याली आ कविता महोत्सव हएत से प्राज्ञ यादव जानकारी देलन्हि । 
एहि महोत्सवमे नेपाली भाषा बाहेकके भाषासभमे लिखल कविता पठएबालेल प्रतिष्ठान आह्वान कएलक अछि । बेशीमे १ सय ५० शब्दधरिके कविता नेपाली भाषामे अनुवादसहित पठएबाकलेल प्रतिष्ठान सूचना जारी कएलक अछि । माघ मसान्तधरि प्रतिष्ठानमे इच्छुक कवि अपन कविता पठा सकैत छथि । तहिना कविके फोटो, व्यक्तिगत विवरण सेहो इमेल करब आवश्यक अछि । महोत्सवक लेल चयन भेल कविताक लेल प्रतिष्ठान कविके पारिश्रमिकके सेहो दैत अछि । 
अन्तर्राष्ट्रिय मातृभाषा दिवस हरेक साल अंग्रेजी क्यालेण्डरअनुसार फरबरी २१ तारिखमे मनाओल जाइत अछि । बङ्गलादेशमे सन् १९५२ मे मातृभाषाक रुपमे बङ्गाली भाषा बाज’ पाबी से मांग कएनिहार विद्यार्थी मारल गेल छल, वएह दिनके संस्मरणमे इ दिवस मनाओल जाइत अछि । 
तत्कालिन समयमे बङ्गलादेशके पूर्वी पाकिस्तान कहल जाइत छल । सन् १९९९ नोभेम्बर १७ मे युनेस्को सेहो एहि दिवसके मान्यता देलक । बादमे सन् २००० मे संयुक्त राष्ट्र संंघ एहि दिनके मातृभाषा दिवसक रुपमे मनएबाक आह्वान कएने छल । तहिएसँ विश्वभर इ दिवस मातृभाषाक सम्मान करैत मनाओल जाइत अछि । नेपाल प्रज्ञा प्रतिष्ठान सेहो हरेक वर्ष मातृभाषा राष्ट्रिय कविता महोत्सव आयोजन करैत आएल अछि ।
भाषिक, सांस्कृतिक विविधताके सम्मान, मातृभाषामे शिक्षा लेबाक अधिकारके सुनिश्चित करबाक लेल विश्व बहुतो देशमे इ दिवस मनाओल जाइत अछि । युनेस्कोके अनुसार ६ हजार भाषामेसँ ४३ प्रतिशत भाषा संकटमे अछि । 

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें