2016-09-03

विद्यापति कोषद्वारा पुरस्कारबास्ते प्रस्ताव आह्वान

नेपाल सरकारद्वारा स्थापित विद्यापति पुरस्कार कोष आर्थिक वर्ष २०७३ में प्रदान कएल जायबाला मैथिली भाषासाहित्य, कलासंस्कृति, अनुसन्धान, पाण्डुलिपी एवं अनुवादसहित पाच विधाक पुरस्कार लेल प्रस्ताव आह्वान कएलक अछि ।
कोष लेखककेव्यक्तिगत विवरण सहितक अभिखेल एवं कृति सबहक संकलन शुरु कएलक अछि ।
भाषासाहित्य, कलासंस्कृति, अनुसन्धान, पाण्डुलिपी एवं अनुवादक विधामे काज कएनिहार स्रष्टा आ संघसंस्था २०७३ भादव मसान्त भितरमे लेखककेव्यक्तिगत अभिलेख, कृति, कृयाकलाप, आदिक जानकारी कोषकेकरा सकैत छथि । कोषद्वारा जारी सूचनामे पाण्डुलिपि पुरस्कारक बास्ते कृतिक कम्प्युटर प्रति पठएबाक आग्रह कएल गेल अछि । 

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें