2016-09-03

सरकारी बोर्डमे मिथिलाक्षर


बटुकनाथ 
मैथिली भाषाक लिपिके“ संरक्षण आ विकास करबाक उद्देश्यसँ जनकपुर क्षेत्रके सरकारी आ गैर सरकारी कार्यालयकेँ नाम मिथिलाक्षरमे लिखबाक अभियान शुरु भेल अछि । नेपालमे सभसँ बेशी बाजल जायबला दोसर भाषा मैथिली रहितो एहिके प्रयोग सरकारीस्तरमे नईं भऽ रहल सन्दर्भमे ई अभियान जोड पकडलक अछि । मैथिली साहित्यकार सभा जनकपुरक सरकारी कार्यालयके बोर्डमे मैथिलीमे सम्बन्धित कार्यालयके नाम मैथिलीमे लिखबाक अभियान शुरु कएलक अछि । पहिल चरणमे जनकपुर उपमहानगर पालिकाके बोर्डमे मिथिलाक्षर लिपिमे कार्यालयके नाम लिखल गेल संस्थाक सभापति प्रेम विदेह ललन जनौलनि । जनकपुर उद्योग वाणिज्य संघक समन्वयमे व्यापारिक प्रतिष्ठानसभमे सेहो मिथिलाक्षर लिपिमे संघसंस्थाक नाम लिखबाक अभियान चलाओल जायत । ज्ञातव्य अछि जे काठमाण्डू महानगरपालिकाक बोर्डमे नेपाल भाषाक रञ्जना लिपिके सेहो प्रयोग कएल गेल अछि । सरकारी कामकाजके भाषाके रुपमे मैथिलीके मान्यता दिअएबाक लेल बेर बेर आन्दोलन होइतो राज्यक एकल भाषा नीतिक कारणे ओ सफल नईं भऽ सकल अछि ।  

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें