2016-10-02

मैथिली आलेख सञ्चयन आ सतञ्जा विमोचित

प्रा. रामावतार यादव लिखित आलेख सभहक संग्रह मैथिली आलेख सञ्चयन आ दिगम्बर झा दिनमणिक सतञ्जा विमोचित भेल अछि । मैथिली विकास कोष धनुषा एहिके प्रकाशन कएलक अछि ।

मैथिलीक वर्तनी, रुपविज्ञान, ध्वनिविज्ञान, समाज भाषा विज्ञान, शब्दकोषशास्त्र, ऐतिहासिक भाषा विज्ञान, भाषा मृत्यु आदि विषयपर लिखल आलेख एहिमे संग्रहित अछि । विभिन्न पत्रपत्रिका, जर्नल आदिमे यादव लिखित मैथिलीक भाषा विज्ञानसँ सम्बन्धित लेखसभके एक्कहिटा किताबमे पाठकके सहजहि उपलब्ध भेल अछि ।
पुस्तकमे १६ टा आलेख संकलित अछि । मैथिली भाषा विज्ञान पुस्तककेँ समीक्षा, गोविन्द झाक मैथिली शब्दकोष पढ़ला सन्ताँ, साँय बहुमे गप्पसप्प कोना करीः महेन्द्र मलंगियाक नाटक सन्दर्भमे, मैथिली शब्दकोष ओ शब्दसङ्ग्रहः ऐतिहासिक सर्वेक्षण जेहन आलेखमे शब्दकोषसँ लऽ कऽ ग्राम्य जनजीविकाके बोलीधरिके भाषा वैज्ञानिक दृष्टिएँ शल्यकृया कएलगेल अछि ।
मैथिलीमे उपलब्ध शब्दकोष आ निर्माणक क्रममे रहितो पुरा नईं भऽ सकल शब्दकोषक सन्दर्भमे पुस्तकमे विस्तृत वर्णन कएल गेल अछि । मैथिलीक भूत, वर्तमान आ भविष्यक बारेमे भाषा वैज्ञानिक यादव किताबमे विभिन्न आलेखसँ मैथिलीक नव तस्वीर बनौने छथि । की मैथिली मरि जाएत ? भाषा मृत्युदऽ किछु विचार शीर्षकमे मैथिलीक भविष्यक चुनौती आ सम्भावना फरिछ होइत अछि । तहिना मैथिलीक मानक स्वरुप जे मैथिली भाषाक सम्बन्धमे सभसँ बड़का बहसके विषय अछि ताहि विषयमे यादव भाषा वैज्ञानिक दृष्टिएँ बाट देखौने छथि ।

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें