2016-09-03

मैथिल विद्यार्थी समाज रुपन्देही गठन

भादव ११ गते शनिदिन मैथिल विद्यार्थी समाज, बुटवलरुपन्देही तदर्थ कार्यसमिति गठन कएल गेल अछि । सेन्ट जोसेफ कलेज, भलवारीमे मैथिल समाज नेपाल रुपन्देही, बुटवलक अध्यक्ष मुखीलाल चौधरीक अध्यक्षतामे समाज गठन कएल गेल । कृषि क्याम्पस पक्लिहवा, युनिभर्सल मेडिकल कलेज पक्लिहवा, लुम्बिनी इन्जिनियरिंग कलेज भलवारी तथा लुम्बिनी मेडिकल कलेज प्रभास, पाल्पाक बिद्यार्थी सभहक भेल बैसारसँ समाजक गठन भेल अछि । समितिक अध्यक्ष लुम्बिनीइन्जिनियरिंग कलेज, भलवारीक सुदिष्ट कुमार सिंह छथि । तहिना  उपाध्यक्ष नितिश मेहता, सचिव प्रदिपकुमार यादव छथि । 
सदस्यमे धीरेन्द्रप्रताप ठाकुर, अभिषेककुमार साह,आनन्दकुमार माझी, संजयकुमार माझी, रसुल राइन, धीरजकुमार दाससहितके छथि ।

मैथिल विद्यार्थी समाजक सर्वसम्मतिसँ समिति चयन कएल गेल । उद्घाटन कार्यक्रममे संतोष मंडल, नसीम अक्रम, धीरजकुमार दास, दीपनरेश यादव, अमरेन्द्रकुमार सिंह, विद्यासागर झा तथा मैथिल महिला समाजक अध्यक्ष श्रीमती अनिता झा मन्तब्य देने छलैथ । 

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें