Dhanusha लेबलों वाले संदेश दिखाए जा रहे हैं. सभी संदेश दिखाएं
Dhanusha लेबलों वाले संदेश दिखाए जा रहे हैं. सभी संदेश दिखाएं

2020-01-05

शीत–लहरीके प्रकोपसँ बँच’ लेल...

जिल्ला प्रशासन कार्याल धनुषासँ शीतलहर प्रभावितके कम्बलसहितके राहत सामग्री
उपलब्ध कराओल गेल अछि ।
 इ तस्वीर धनुषाक प्रमख जिल्ला अधिकारी प्रदीपराज कणेलक
फेसबुक वालसँ लेल गेल अछि । 

  • गरम कपडाक व्यवस्था करु । 
  • शीत–लहरीके समयमे घरबाहर खुला स्थानमे बेशी समय नईँ रहू, घरबाहर जाय परए वा बेशी समय रह’ परए त गरम कपडा पहिरु ।
  • राइतमे सिरक, कम्बल जेहन ओढना ओढू । 
  • घरभितर राइतमे सुतबाकाल शरीरके सँगहि छाती आ माथके झाँप’ के ओरिआओन करु । 
  • शीत–लहरी चलल समयमे आइग ताइपक’ शरीरके गरमेने रहू, छाती आ माथके ठण्ढासँ बचाउ ।
  • ठण्ढीके समयमे शरीरके लेल आवश्यक गरम खायबला वस्तुसब खाउ । 
  • धीयापूता, वृद्धवृद्धा, गर्भवती महिला आ बिमारके रेखदेखमे विशेष सतर्कता अपनबैत धीयापुताकेँ गरमाएल अवस्थामे रखबाक व्यवस्था करु ।
  • ठण्ढीके कारण बिमार होइते स्वास्थ्य चौकी वा अस्पतालमे तुरन्त इलाजके लेल ल’ जाउ ।  शीत–लहरी चलल समयमे घरमे पोसल पशुपंक्षीके भरिसक खुला स्थानमे चराब’लेल नईं ल’ जाउ । गोठमे राखिक’ पर्याप्त घास÷पोआर आ दाना देबाक व्यवस्था करु ।
  • ठण्ढीके कारण पशुपंक्षी बिमार भेलापर लगेके पशु चिकित्सालयमे तुरन्ते सम्पर्क क’ इलाज कराब’ ल’ जाउ । 
  • कोठली भितर आइग बाइरक’ गरम कएलापर पर्याप्त धुँवा निकल’ के अर्थात भेण्टिलेसनके व्यवस्था कर’ के नईं बिसरु । (स्रोत ः सूचना तथा प्रसारण विभाग )  

2014-06-30

विकासलेल संकल्प करए जनकपुरबासी

जनकपुर आब फैल भऽ रहल अछि । कियाक त सडककेँ अतिक्रमण हटएबाक काज जाहि रुपेँ गति लेलक ताहिसँ बर्षोंसँ जकड़ल समस्या समाधान हएबाक आश जागल अछि । जानकी मन्दिर लगपासके क्षेत्रमे बहुत बेर सडक अतिक्रमण मुक्त करएबाक नियार भेल रहए मुदा से नहि भऽ सकल । कहियो राजनीतिक नेतृत्व नहि चाहलक त कहियो प्रशासनके अधिकारी मुँह मिठकऽ कऽ चुप बैस गेल । मुदा एखन नामी मिष्ठान्न भण्डार जहन ढहलए तहन आम जनकपुरबासीके ई आभाष भेलए जे एत्तउ राज्य अछि । कियाक त जनकपुरक विकासके बाधक की की अछि एकर सूची जहन बनाबी त सडक बिस्तार नहि हएब सेहो प्रमुख समस्याक रुपमे आगू अबैत अछि ।
विकास सडकके माध्यमसँ अबैछइ एहिमे किनको दू मत नहि हएत । ई बात जनकपुरक सडक अतिक्रमण कऽ महल बनओनिहारके नईं बुझल छलै एहन बात नहि मुदा ओ अपन हितमात्र देखलक । जनकपुर कुरुप होइछइ त होउ हमरा कि मतलब ? एहने मानसिकताक उपज छल जे स्थानीय सडक अतिक्रमणकारीसभ कहियो विकासके पक्षमे ठाढ़ नहि भऽ सकल ।
जनकपुर नगरपालिकामे कतेको नेतृत्व बदलल, सभगोटे ई बात मानैत छल जे सडक विस्तार करब, सरकारी जमिन अतिक्रमणमुक्त कराएब मुदा साहस कियो नहि कऽ सकल । हँ शाही सरकारके समयमे जनकपुर नगरपालिकाके कमान सम्हारनिहार तत्कालीन मेयर राजदेव मिश्र अपवाद छथि । मिश्र अपन कार्यकालमे जनकपुर अञ्चल अस्पताल रोडमे सडक अतिक्रमण मुक्त करएबामे जे योगदान छथि से सराहनीय अछि । ताहिके बाद कोनो जनप्रतिनिधिके ओ अवसर सेहो नहि भेटलैया । मुदा जहिया भेटल छलनि तहिया जनकपुर नगरके सडक विकासके लेल कोनो ठोस काज नहि भऽ सकल । बादमे स्थानीय निकाय खाली होइत गेल । कर्मचारी दुनू हाथे खाएलागल । नगरके अवस्था दिनानुदिन दयनीय बनैत गेल ।
एखन जे गति लेने अछि अतिक्रमणमुक्तके ताहिसँ बड़का सम्भावनाक द्वारि खोलल जा सकैया । जहिना घरसभ तोड़िकऽ सडक विस्तार कएल गेल । तहिना आब सभकियो मिलिकऽ जनकपुरके व्यवस्थित बनएबामे योगदान करथि । 
कियाक त प्राचीन मिथिलाक राजधानी कहिकऽ गर्व कएलेसँ मात्र नहि हएत । एखन शहरके विश्वव्यापी मापदण्डके आधारपर जनकपुरकेँ मूल्यांकन कएल जाय । आ निष्कर्ष निकालल जाय जे कत्तेक पाछु छी । मच्छर आ सुग्गरके समस्या, सडकपर गर्दा, अव्यवस्थित नाला जेहन बहुतो समस्या सुरसा जकाँ मुँह बओने अछि । तकर समाधान कोना कएल जाय ताहिलेल सरोकारवालाकेँ समाधान खोजबाक चाही ।
धार्मिक आ पर्यटकीय अथाह सम्भावना रहल जनकपुरके विश्वस्तरमे चिन्हएबालेल जनकपुरबासीके संकल्प करऽपड़त । सुन्दर आ स्वच्छ जनकपुरके नारा लऽकऽ सभकियो जहन जुटि जाय त ई ऐतिहासिक स्थानके विश्वस्तरमे स्थापित पर्यटकीयस्थल बनऽसँ कियो नहि रोकि सकैया । साभार नयाँ नेपाल २०७१ साल अषाढ १६ गते